नोएडामे शनिदिन मनाओल जाएत ‘विद्यापति स्मृति पर्व समारोह’

    0
    202

    दिल्ली, मिथिला मिरर-निशांत झा: अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदकें तत्वावधानमे आगामी 22 अप्रैल शनिदिन नोएडा स्थित सेक्टर 21कें रामलीला मैदानमे ‘विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक’ आयोजन कएल जा रहल अछि। अहि अवसर पर मैथिली साहित्य एवं संस्कृतिक झांकी प्रस्तुत करबाक संग-संग मिथिलाक गौरवशाली परम्परा सं सेहो अवगत करेबाक उदेश्य सं स्मारिकाक विमोचन कएल जाएत।

    तदुपरांत सांस्कृतिक कार्यक्रममे मिथिलांचलक सुप्रसिद्ध कलाकार रामबाबू झा, रामसेबक ठाकुर, विकाश झा, जूली झा, दीया चौधरी, अंजू झा, धीरज मिश्रा आदि द्वारा प्रस्तुति देल जाएत। संस्थाक अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा कहलनि जे, अहि कार्यक्रममे प्रकाण्ड विद्वान, केंद्रीय मंत्री, सांसद तथा विधायक शामिल हेताह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here