योजनामे अनियमितताक खिलाफ ‘जन चेतना संघर्ष मोर्चाक’ प्रदर्शन

    0
    227

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सरकारी योजनामे व्याप्त अनियमितता सहित 6 सूत्री मांगक लेल ‘जन चेतना संघर्ष मोर्चा’ दिस सं बनौली पंचायतमे धरना-प्रदर्शन कएल गेल। जाहिमे सरकार आ प्रशासनकें खिलाफ आक्रोश व्यक्त कएल गेल। मंगलदिन आयोजित कार्यक्रममे आंदोलनकारी निर्णय लेलनि जे, जनसमस्याक निदान नहि कएल गेल त अंतरराष्ट्रीय मजदूर दिवस पर पहिल मई कए आमरण अनशन कएल जाएत।

    जन चेतना संघर्ष मोर्चाके प्रखंड अध्यक्ष रामबाबू कुशवाहाक नेतृत्वमे गामक चौक-चौराहां पर प्रतिवाद मार्च निकालि कए बीडीओ, मुखिया, पंचायत सचिवक खिलाफ नारेबाजी कएल गेल। वक्ता सब प्रदर्शनके माध्यम सं राज्य सरकार आ जिला प्रशासनकें आगाह केलक जे, बनौली वार्ड एकमे 14 ‘म वित्त आयोग सं सड़क मरम्मत काजमे प्राक्कलित राशिक विपरीत काज कएल गेल अछि। पंचायत सचिव पर गुणवत्ताक ध्यान नहि रखबाक आरोप लगाओल गेल अछि। भगवती स्थान परिसरमे मनरेगाक तहत मिट्टीकरणमे भारी अनियमितता कएल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here