थ्रेसरमे गहूम दाउन करबाक दौरान महिलाक मौत

    0
    185

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बेनीपट्टी थानाक समदा गामक पश्चिम टोलमे गहूम दाउन करबाक दौरान थ्रेसरक फीतामे केश फंसलाक कारण 25 वर्षीय विनयका देवीक दर्दनाक मौत भए गेल। समदा गामक विनयका देवी गामक थ्रेसर पर गहूम दाउन करा रहल छली। जतय अचानक थ्रेसरक फीतामे केश फंसलाक बाद किछुए कालमे माँथ देह धर सं अलग भए गेल। घटनाक बाद अफरातफरी मचि गेल। थ्रेसर चालक आननफाननमे थ्रेसर लए भागि गेल।

    समदा गामक  भोगेन्द्र ठाकुर अत्यंत गरीब आ असहाय व्यक्ति अछि। गरीबीक कारण पत्नी विनयका देवी आ पति मजदूरी कय पांच परिवारक भरन पोषन करैत छल। पत्नीक मौतक बाद जतय पति भोगेन्द्र ठाकुर चित्कार लगा रहल अछि, ओतहि तीनटा छोट-छोट बच्चा मांयक लेल तडपि रहल अछि।

    घटनाक बाद ग्रामीण सब सामाजिक स्तर पर रजामंदी सं लहासकें जरा देलक। गाममे कियो किछु बाजि नहि रहल अछि। मृतक गाममे थ्रेसर पर गहूम काटबामे मजदूरीक काज करैत छल। जतय गहूमक बोझ मजदूरीक रूपमे देल जाइत छल। पुलिस निरीक्षक सह थानाध्यक्ष हरे राम साह कहलनि जे, थानामे एखन धरि आवेदन नहि देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here