प्रधानमंत्री आवास योजनाक दर्जनो लाभार्थीक खाता सं हजारो रुपैयाक फर्जी निकासी

    0
    199

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंडक धर्मपुर बांदे स्थित बैंक ऑफ इंडियाक ग्राहक सेवा केंद्रकें जमाकर्ताक खाता सँ फर्जी तरीका सं राशिक निकासी कएल गेल। जकर खुलासा तहन भेल जहन किछु खाताधारक बैंक ऑफ इंडियाक कौवा शाखा जाकय अपन पासबुककें अपडेट करेलनि। खाताधारक ग्राहक सेवा केंद्र संचालक पर फर्जीवाडाक आरोप लगेलक अछि। बृहस्पति दिन ओ धर्मपुर बांदे पंचायतक मुखिया लग जा कए न्यायकें गुहार लगेलक।

    प्रधानमंत्री आवास योजनाक लाभार्थी भगेरन साहक पत्नी कामेश्वरी देवीकें अनुसार, ओकर खाता सं 25 हजार रुपैया निकालि लेल गेल। ओतहि निर्मल राम, सलेना खातुन, तारा देवी, शिवकुमारी देवी सहित 10 खाताधारककें खाता सं 2800-2800 हजार रुपैयाक निकासी कएल गेल। खाताधारक अहि मामलामे इंदिरा आवास सहायक एवं ग्राहक सेवा केंद्र संचालकक मिलीभगतकें आरोप लगा रहल अछि।

    पूर्व जिला पार्षद अशोक कुमार दास एवं मुखिया विभा देवी मामलाक शिकायत बैंक आफ इंडिया कौवा शाखाक प्रबंधक धीरज कुमार सं केलनि अछि। शाखा प्रबंधक कहलनि जे, फर्जी निकासीक शिकायत भेटल अछि, जकर छानबीन शुरू कएल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here