पूर्वांचली मतदाता पर अपन अधिकार थोपबाक जुगतमे ‘भाजपा-आप’

    0
    228

    दिल्ली, मिथिला मिरर: आम आदमी पार्टी अपन जाहि होर्डिंगकें बल पर भाजपा नेताकें असहज करबामे लागल छल, आब उलटे भारी पड़ी रहल अछि। दरअसल भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी आम आदमी पार्टीक अहि कदमकें पूर्वांचलक अस्मिता सँ जोडिकए आपकें कठघरामे ठाढ़ केलक अछि।

    मनोज तिवारी कहलनि जे, मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल पूर्वांचलक लोक सँ घृणा करैत छथि, अहि दुआरे ओ भाजपाक प्रदेश अध्यक्षक जगह अन्य भाजपा नेताक फोटो लगा रहल छथि।

    ‘आप’ जगह-जगह केजरीवाल आ भाजपा नेता विजेंद्र गुप्ताक फोटो लगाकय पूछि रहल अछि जे, दिल्लीवासीकें अहि दुनूमे सँ ककर शासन चाही। एकरा लए भाजपामे नाराजगी अछि। गुप्ता राज्य चुनाव आयोग सं शिकायत सेहो केने अछि।

    गुप्ताक आरोप अछि जे, ‘आप’ हमर फोटो सं छेड़छाड़ कए गलत इस्तेमाल कए रहल अछि। एकरा लेल आयोग द्वारा पठाओल गेल नोटिसक जवाबमे ‘आप’ कहलक जे, यदि गुप्ताकें होर्डिंगमे लागल अप्पन फोटो पसंद नहि त अपन पसंदक फोटो पठा देल जाऊ।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here