मुजफ्फरपुरमे ट्रक सं टकराओल कैदी वैन, 8 गोटेक मौत

    0
    188

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सीतामढी जिलाक रुन्नीसैदपुरक गायघटकें समीप शनिदिन भोरे सड़क हादसामे एकटा बंदी समेत आठ जवानक मौत भए गेल, तथा चारि अन्य जवान गंभीर स्थितिमे निजी नर्सिंग होममे भर्ती कराओल गेल अछि।

    एसकेएमसीएचमे सिपाही सब इलाजमे लापरवाहीक आरोप लगा कए हंगामा केलक अछि। विरोधमे जूनियर चिकित्सक सेवा ठप कए देलक। मृतकमे बंदी हेमंत पासवान, सिपाही संजय कुमार राय, कुलेश्वर यादव, हवलदार तृष्णा सिंह, वैन चालक मुन्ना सिंह, निरीक्षक मदन मोहन साह, सैप जवान चुम्मन सिंह शामिल अछि। एक अन्य मृतक जवानक पहिचान नहि भेल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, शुक्रदिनक देर राति भागलपुर कारा सँ बंदी सुराग पासवान व हेमंत पासवानकें लए वैन सीतामढी जेल जा रहल छल। शनिदिन भोरे करीब पांच बजे वैन रुन्नीसैदपुरक गायघाट गामक समीप सड़क कात गिट्टी लादल ट्रकमे टक्कर मारि देलक। जाहिमे एकटा बंदी समेत चारि जवानक मौत घटनास्थले पर भए गेल, जहनकि चारि टा अन्य जवानक मौत एसकेएमसीएचमे इलाजक दौरान भए गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here