राजधानी एक्सप्रेस लूटकांडमे 5 गिरफ्तार, यात्री सँ लूटल गेल बैग आ पर्स बरामद

    0
    202

    पटना, मिथिला मिरर: पटना राजधानी एक्सप्रेस लूट मामलामे रेल पुलिस 5 गोट अपराधीकें गिरफ्तार केलक अछि। आरपीएफ आ जीआरपीक टीम बक्सरमे छापेमारी कय चंदन कुमार, ओमप्रकाश, राजा मियां आ फतेह हुसैन समेत पांच गोट लुटेराकें गिरफ्तार केलक अछि। सूत्रक अनुसार, लुटेराकेँ संग सं यात्री सं लूटल गेल बैग,पर्स समेत अन्य सामान बरामद कएल गेल अछि। गिरफ्तार सब बदमाश बक्सरकें बताओल जा रहल अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार जाहि अपराधीकें गिरफ्तार कएल गेल अछि ओ सब मुगलसरायमे ट्रेन पर सवार भेल छल। टीटीई हरेस सं 500-500 रुपैया लए सबकें चढ़ेने छल।

    गौरतलब अछि जे, रविदिन नई दिल्ली- राजेंद्र नगर राजधानी एक्सप्रेसमे उत्तर प्रदेशक गमहर स्टेशनक समीप दर्जनभरि यात्री सँ नगदी, गहना आ मोबाइल सहित अन्य सामान लूटल गेल छल। अहि मामलामे रेल मंत्री सुरेश प्रभु घटनाक जांचक आदेश देने छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here