दोहरी हत्याक विरोधमे भड़कल आक्रोश, सड़क जाम कए कएल गेल प्रदर्शन

    0
    198

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरमे बृहस्पति दिन 12 घंटाक भीतर ठेकेदार आ व्यवसायीक हत्याक बाद दोसर दिन शहरवासी उग्र भए गेल। बढ़ैत अपराधक विरोधमे लोक अखाड़ाघाट, सिकंदरपुर आ गोला रोड इलाकामे सड़क पर उतरि आएल। टायर जराकए लोक आवागमन बाधित कय देलक। लोक पुलिस विरोधी नारेबाजी सेहो केलक। मौका पर पहुंचल पुलिस टीम सेहो उग्र लोककेँ सामना करना करए पड़ल।

    पुलिसकर्मी सँ नोकझोंकक सेहो स्थिति उत्पन्न भेल। भोर सँ दुपहर धरि विभिन्न जगह पर यैह स्थिति बनल रहल। हालांकि, वरीय अधिकारी स्थितिकें सम्हारलनि। एम्हर, घटनाक लय शहरक व्यवसायीमे दहशतक माहौल बनल अछि।

    बृहस्पति दिन शहरक मिठनपुरा इलाकामे ठेकेदार प्रणय कुमार उर्फ अतुल शाहीकें एके-47 सँ भूनि देल गेल। रंगदारी नहि देबाक कारण घटनाकें अंजाम देल गेल। ओतहि, राति नौ बजे बालूघाट इलाकामे बिस्कुट व्यवसायी ओपी अग्रवालक कैश लूटक दौरान विरोध करबा पर गोली मारिकय हत्या कय देल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here