आपकें होर्डिंग पर भाजपाक विरोध

    0
    186

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्‍लीमे एक बेर फेर भारतीय जनता पार्टी आ आम आदमी पार्टीक बीच होर्डिंग पर सियासत गरमा गेल अछि। ई गरमाहट ओहि समय शुरू भेल जहन आप निगम चुनावक लेल बनाओल गेल अपन होर्डिंग मे विजेंदर गुप्ताक फोटो छापि कए विवादकेँ जन्म देलक अछि।

    नगर निगम चुनावमे आपकें होर्डिंगकें भाजपा विरोध केलक अछि। आपके होर्डिंगमे निगम चुनावमे अरविंद केजरीवाल आ भाजपा नेता विजेंद्र गुप्ताक फोटो लगाकय एकटाकें चुनबाक लेल कहल गेल अछि। जहनकि भाजपा निगम चुनाव अपन प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारीक नेतृत्वमे लड़ि रहल अछि।

    विजेेंद्र गुप्ता अहि होर्डिंग पर आपत्ति जतबैत आप पर फोटोक संग छेड़छाड़ करबा आ गलत तरीका सँ प्रयोग करबाक आरोप लगेलक अछि। भाजपाक प्रदेश उपाध्यक्ष राजीव बब्बर एवं मीडिया प्रमुख प्रवीण शंकर कपूर सेहो एकर विरोध केलनि।

    ओ कहलनि जे, आप पहिने सेहो मर्यादाकें ताक पर राखिकय चुनाव प्रचार करैत रहल अछि। भाजपा नेता दिल्ली चुनाव आयोग सँ अहि तरहक भ्रामक चुनाव प्रचार करय वलाक खिलाफ कार्रवाई करबाक मांग केलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here