वीक्षक संग दुर्व्यवहार आ तैलीय पदार्थ फेकबाक मामला दर्ज

    0
    300

    दरभंगा, मिथिला मिरर:-निशांत झा: लहेरियासरायकें एमएल एकेडमी स्कूल पर चलि रहल कॉपी जांचक विरोध कय रहल नियोजित शिक्षक द्वारा रविदिन एकटा वीक्षककें खाइधमे धकेल कय तैलीय पदार्थ फेकबाक मामला सामने आएल अछि। अहि संदर्भमे मधुबनी जिलाक अरेर थानाक्षेत्रक करही गाँम निवासी मार्कण्डेय झाक पुत्र महेंद्र झा लहेरियासराय थानामे अज्ञात लोकक खिलाफ आवेदन देलनि अछि।

    महेंद्र झा कहलनि जे, हम आनंदपुर हाई स्कूलमे सहायक टीचरके पद पर कार्यरत छी। रविदिन जाँच केंद्र पर पहुँचते ओतए चाह दोकान पर बैसल अज्ञात नियोजित शिक्षक हमरा खाइधमे धकेल देलक आ हमरा ऊपर तैलीय पदार्थ फेंकलक।

    ओ कहलनि जे घटनाक बाद, हम थाना पहुँच कय रिपोर्ट दर्ज करेलहुँ अछि। हालांकि एकर सूचनाक बाद डीएम, एसएसपी एवं डीडीसी घटनास्थल पर पहुँचलाह आ सुरक्षा व्यवस्थाक जायजा लेलनि। उक्त स्थल पर पुलिस बलक तैनाती कय सुरक्षा व्यवस्था कड़ी कय देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here