बिहारीकें बिना दिल्लीक विकास संभव नहि: नीतीश कुमार

    0
    225

    दिल्ली, मिथिला मिरर: जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिदिन कहलनि जे, दिल्लीक विकासमे बिहारीक महत्वपूर्ण योगदान अछि। बिहारक लोक दिल्लीमे मुखर नहि छल मुदा आए अपन अधिकारक़ मांग कए रहल अछि। ओ कहलनि जे, ई चुनाव जीतबाक बाद सेहो नेताक पास अधिकार नहि रहत। ऐहेनमे बिहारकें विशेष राज्यक दर्जा भेटबाक संग दिल्लीकें सेहो पूर्ण राज्यक दर्जा भेटबाक चाही।

    दिल्ली नगर निगम चुनावमे जदयू प्रत्याशीक समर्थनमे नीतीश कुमार बुराड़ी ट्रांसपोर्ट अथॉरिटी सँ छठि घाट तक रोड शो केलनि। अहिके बाद बुराड़ीमे चुनावी सभामे नीतीश कुमार कहलनि जे, पहिने बिहारक पिछड़ेपनके कारण लोक़ बिहारक मजाक उड़ाबैत छल, मुदा आए बिहारक बहुतो गाम दिल्लीक किछु इलाका सँ बहुत नीक अछि। ओ कहलनि जे, दिल्लीक लोकक समस्याकें देखैत हमरा लागल जे, नगर निगम चुनावमे उतरबाक चाही।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here