डीएमसीएचकें मरीजक थारी सं प्रोटिन आ कैलोरी लुप्त

    0
    237

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक डीएमसीएचकें मरीजक थारी सँ प्रोटिन आ कैलोरी लुप्त भेल जा रहल अछि। सरकारक दिस सं हरेक रोगक मरीजक थारीमे प्रतिदिन कम सं कम 36 ग्राम आ अधिक सं अधिक 100 ग्राम प्रोटिन परसबाक निर्देश अछि, अहिना मरीजक भोजनमे कम सं कम 1200 आ अधिक सं अधिक 3500 कैलोरी देबाक रहैत अछि। अहिमे सामान्य, शिशु रोग, सॉप्ट ब्लैंड, डायविटिज, पोस्ट ऑपरेटीव, रीनल डायट, डायरिया, डीवीडी वला मरीजकें अलग-अलग भोजन तैयार कय परसबाक नियम अछि।

    वर्तमानमे हाल ई अछि जे, हरेक रोगीकें एक समान मरीजक थारीमे 50 रुपैयाक दर वला भोजन पार्सल जा रहल अछि। अहि भोजनमे भात, आलु भांटाक तरकारी तथा पानि वला दालि रहैत अछि। अहि हालतमे मरीजक स्वास्थ्य पर असर पड़ैत अछि। सरकार महंगाईकें देखैत मरीजक भोजनक दरमे 50 रुपैयाक जगह 100 रुपैयाक इजाफा केने छल।

    सरकारक ई आदेश पत्र निर्गतक संग शुरू हेबाक छल। ई आदेश दिनांक 7.9.15 कय जारी भेल छल। अस्पताल अधीक्षककें ई आदेश दिनांक 18.9.15 कय प्राप्त भेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here