गौसनगरमे स्थिति नियंत्रित, प्रशासनिक गतिविधि एखनहुँ जारी

    0
    224

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राजनगर थाना क्षेत्र अंतर्गत रामपट्टी-भगवतीपुर मुख्य मार्ग पर गौसनगर गाममे रामनवमीक जुलूसकें रोकबाक मामलामे दू पक्षक बीच भेल विवाद, झड़प आ असामाजिक तत्व द्वारा दर्जनो दोकान व वाहनमे आगि लगेबाक घटनामे प्रशासनिक चुस्ती सं बृहस्पति दिन पूर्णत: शांति बनल रहल। एसडीओ सदर अभिलाषा कुमारी शर्मा, एएसपी निधि रानी, डीएसपी सदर कुमार इंद्र प्रकाश सदल बल गौसनगर गाममे एखनहु कैंप कय रहल छथि।

    बृहस्पति दिन एसएसबीक 35’म बटालियनकें दर्जनो जवान रामपट्टी सँ गौसनगर तक मार्च करैत रहल। स्थानीय थाना समेत 10 थानाक पुलिस सेहो लगातार घटनास्थल पर नजरि रखने छल। बुधदिन राति डीएम गिरिवर दयाल सिंह आ एसपी दीपक बरनवाल सेहो पुन: गौसनगर पहुंचकय स्थितिक जायजा लेलनि। अहिं सँ पूर्व बुधदिन विधायक समीर कुमार महासेठ गौसनगर पहुंचलाह तथा दूनू पक्षक लोककें बीच पहल कय शांति बहालीमे प्रशासनक सहयोग केलनि।

    बुधदिन देर साँझ उपद्रवी तत्व द्वारा रामपट्टी हाट सँ गौसनगर मोड़ तक स्थित दर्जनो दोकान आ वाहनकें आगिक हवाले केलक बाद प्रशासन एसएसबीक 35म वाहिनीकें अग्निरोधी दलक जवान आ अग्निशमन दस्ता घटनास्थल पर पहुंच कय घंटो मशक्कतके बाद आगि पर काबू पौलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here