निगम चुनावमे सब सं अधिक पूर्वांचलीकें टिकट देलक आम आदमी पार्टी, टिकट देबामे भाजपा दोसर स्थान पर

    0
    199

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावमे आम आदमी पार्टी बहुत अधिक संख्यामे पूर्वांचलक लोक पर दांव लगेलक अछि। निगम चुनावमे भाजपाक 27 गोट पूर्वांचली प्रत्याशीकें तुलनामे आप 36 प्रत्याशीकें चुनाव मैदानमे उतारलक अछि। जाहि सँ पार्टीकें अधिक लाभ हेबाक संभावना अच्छी।

    आप पूर्वांचल सँ ताल्लुक राखय वला सीट पर जीत दर्ज करबाक लेल 12 गोट पूर्वांचली चेहराकें मैदानमे प्रचारक लेल उतरलक अछि। जाहिमे आपके प्रदेश संयोजक दिलीप पांडेय, दिल्ली सरकारके मंत्री गोपाल राय आ कपिल मिश्रा, आप नेता संजय सिंह, विधायक सोमनाथ भारती, संजीव झा, आदर्श शास्त्री आदिक समर्थक शामिल अछि।

    पार्टीक रणनीतिकारक मानब अच्छी जे, ई ओ पार्टी अछि, जे पूर्वांचलक लोककेँ सब सँ अधिक मान सम्मान देलक अछि। 2013’मे दिल्ली विधानसभामे दोसर दल सँ पूर्वांचलक मात्र एकटा विधायक अनिल झा छलाह, मुदा आप 12 टा पूर्वाचलीकें विधायक बना सम्मान देलक। पूर्वाचल सँ ताल्लुक राखय वला 2 गोट विधायककें दिल्ली सरकारमे मंत्री सेहो बनेलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here