अगिलग्गीमे चारि घर समेत पचास हजारक सम्पति जरिकए खाक

    0
    260

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक केवटी प्रखंडक भरतपुर गाममे मंगलदिन राति अचानक अगिलग्गीक घटनामे चारि गोट घर जरि कय खाक भए गेल। जाहिमे पांच हजार रुपैयाक मुख्यमंत्री कन्या विवाह योजनाक चेक आ नगद पांच हजार रुपैया समेत पचास हजार रुपैया सं अधिककें परिसंपत्ति जरिकय राख भए गेल। बादमे स्थानीय लोक द्वारा चापाकलक सहायता सं आगि पर काबू पाओल गेल।

    आगि पहिने लोभी रामक घरमे लागल, जकरा बाद चारिटा घर और आगिक चपेटमे आबि गेल। भरतपुर पैक्सक अध्यक्ष संजय कुमार झा बुधदिन पहुंचकय पीड़ित परिवार सं भेंट कए सांत्वना देलनि आ घटनाक सूचना सीओकें दैत पीड़ित परिवारकें अविलंब सरकारी सहायता उपलब्ध करेबाक मांग केलनि।

    सूत्रक अनुसार सीओ संतोष कुमार सुमन कर्मचारीकें जांच आ क्षति आकलनक निर्देश देलनि अछि। आगि लोभी राम, भोगी राम आ घुरन राम तथा नथुनी रामक घरमे लागल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here