जयनगर-रांची एक्सप्रेस ट्रेनमे भीषण डकैती

    0
    244

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: मोकामा के समीप रांची-जयनगर ट्रेनमे भीषण डकैतीक घटनाकें अंजाम देबाक समाचार प्रकाशमे आएल अछि। घटना ट्रेनक एस-3 बोगीक अछि। सूत्रक अनुसार ट्रेन जहन मोकामा सं गुजरल तहनहि 25-30 गोट डकैत ट्रेन में चढ़ि गेल आ सिमरिया पुलक समीप पहुँचला पर बंदूकक बल पर लूटपाट शुरू कए देलक।

    सूत्रक अनुसार, डकैतक बात नहि मानय वला यात्रीक संग मारिपीट सेहो कएल गेल, जाहिमे महिला आ बुजुर्ग सेहो शामिल छल। लुटपाटक दौरान ट्रेनमे मौजूद सुरक्षाकर्मी हाथ पर हाथ देने मूकदर्शक बनल रहल। घटनाक बाद यात्रीमे भय व्याप्त अछि, जाहि सं एक बेर फेर रेल प्रशासन पर प्रश्न चिन्ह लगैत अछि।

    पूर्व मध्य रेलवेकेँ मुख्य जनसंपर्क अधिकारी अरविंद कुमार फोन कऽ मिथिला मिररक संपादककेँ सूचित केलाह जे बुध-बृस्पतिक राइत करीब 1 बजे जयनगर-राँची एक्सप्रेस ट्रेनकेँ एस-3 बाॅगीमे तीन-चाइर गोट वांछित व्यक्ति लूटपाटक मोन बना कऽ घूसल छल, ओहि क्रममे एकटा बैग लूइट कऽ भागैत कालमे बैग गेटमे फसि गेलै आ लूटेरा सब भागैत भेल। भगवाक क्रममे एकटा लूटेरा ट्रेनसँ खसि सेहो पड़ल। अहि घटनामे कोनो तरहक जान-मालक क्षति नहि पहुंचलैक आ नहि कियो हताहत भेलाह। अहि मामलाक रिपोर्ट धनबादमे दर्ज कराओल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here