127 उम्मीदवारक दोसर लिस्ट जारी केलक कॉग्रेसक

    0
    182

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल कांग्रेस पार्टी 127 प्रत्याशिक अप्पन दोसर लिस्ट जारी कए देलक अछि। कुल 272 सीट वला अहि निगममे पार्टी एखन धरि 267 नामक घोषणा कए देलक अछि। बाकी पांच नाम पर एखनहु विचार चलि रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, एतए दावेदारक संख्या अधिक हेबाक कारण परेशानी भए रहल अछि, जाहि पर सोमदिन भोरमे फैसला लेल जाएत।

    ज्ञात हो कि सोमदिन नामांकनक आखिरी दिन अछि, अपन दोसर लिस्टमे सेहो कांग्रेस पार्टी पुरान चेहरा पर भरोसा जता रहल अछि। ज्यादातर प्रत्याशी पिछला चुनाव लड़ि चुकल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here