साईकिल चोरकें पिटलाक बाद कएल गेल पुलिसक हवाला

    0
    202
    बेगूसराय, मिथिला मिरर-शिखा झा: जिलाकें बखरी थानाक्षेत्रक मखाचक इलाकामे एकटा साईकिल चोरकें जमिकय पिटाई कएल गेल। घटनाक समय चोर साईकिल चोरेबाक फिराकमे छल, तखनहि लोकक नजरि चोर पर पड़ल आ चोरक पिटाई कए देल गेल। पुलिसक समक्ष चोरक पिटाई कएल जा रहल छल मुदा पूरा घटनाकेँ समय पुलिस मात्र मूकदर्शक बनल रहल।
    बात बढ़लाक बाद पुलिस चोरकें गिरफ्तार केलक। लोगक कहब अछि जे, दिनोदिन इलाकामे लगातार चोरीक घटना बढ़ल जा रहल अछि आ पुलिस हाथ पर हाथ दय बैसल अछि। 

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here