पप्पू यादव’क गिरफ्तारीकें विरोधमे प्रतिरोध मार्च निकालल गेल

    0
    208

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: सांसद पप्पू यादवकें गिरफ्तारीक विरोधमे जन अधिकार पार्टी’क कार्यकर्ता बुधदिन कारी बिल्ला लगाकय प्रदेश सरकारकें विरोधमे मार्च निकाललक। मार्च स्थानीय हॉस्पीटल चौक गोलंबरकें समीप सं प्रारंभ भए मगरदही घाट होईत रेलवे स्टेशन चौक स्थित गांधी प्रतिमा स्थल पर जाकय समाप्त भेल। अहिकें उपरांत जिलाध्यक्ष रामवृक्ष रायकें नेतृत्वमे आक्रोशित कार्यकर्ता मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ राजद सुप्रीमो लालू यादवकें पुतला जरेलक।

    प्रतिरोध मार्चमे शामिल कार्यकर्ता प्रदेश सरकारकें विरोधमे नारा लगा रहल छल। अहि क्रममे वक्ता प्रदेश सरकार सं अविलंब मुकदमा वापस लए सांसदकें रिहा करबाक मांग केलक। मौका पर संगठनकें राष्ट्रीय अध्यक्ष अजय कुमार बुलगानीन, महासचिव अशोक प्रसाद वर्मा, युवा परिषद जिलाध्यक्ष अमित कुमार झा, हरिश सिंह, युवा शक्तिके जिलाध्यक्ष मनीष यादव, प्रदेश सचिव गुंजन देवी, जिलाध्यक्ष मनीष कुमार, सत्येन्द्र कुमार राय, राजनारायण प्रसाद सिंह, जिला सचिव सीताराम राय, गुड्डू झा, दीपक झा, पप्पू कुमार, अविनाश झा, पिंटू यादव, श्यामा यादव, रिंकू यादव, राजीव राय, रंधीर कुमार, विनोद राय, रामविवेक पासवान, अनील कुमार, संतोष राय, हेमनारायण राय आदि कार्यकर्ता मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here