नीतीश’क भोजमे सुशील मोदी भेलाह शामिल

    0
    196

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे जारी भोजक राजनीतिक बीच भाजपा दू भागमे बँटैत देखल गेल। मुख्यमंत्री नीतीश राज्यपाल समेत दूनू सदनक सदस्यकें भोज पर आमंत्रित केने छलाह। अहि भोजमे सब दलक छोट-पैघ नेता शामिल भेल, मुदा सभक नजरि भाजपा पर छल।

    जदयू सं अलग हेबाक करीब चारि साल बाद भाजपा मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक रात्रि भोजमे शामिल त भेल मुदा अलग-थलग। बिहारमे बीजेपीके सब सं पैघ चेहरा सुशील कुमार मोदी एलाह त विधानसभामे नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार, नंद किशोर यादव नदारद रहलाह। भोजमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वं सबकेँ अगवानी केलनि। अहि दौरान राजनीतिक दलक बीचक दूरी कम भेल।

    भाजपाक भोजमे शामिल हेबा पर संशय छल त नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार ई कहि कए दूर केने छलाह जे, बीजेपी भोजमे शामिल होएत मुदा स्वं प्रेम कुमार भोज सं नदारद रहलाह। पार्टी दिस सं विधानमंडल दलक नेता सुशील कुमार मोदी, पूर्व प्रदेश अध्यक्ष मंगल पांडेय, विजय कुमार सिन्हा, विनोद नारायण झा समेत अन्य विधायक-विधान पार्षद मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here