दरभंगा पुलिसक विरोधमे एमएसयूकें प्रदर्शन

    0
    344

    दरभंगा, मिथिला मिरर: जाहि तरहे दिन-दहारे अपराधी द्वारा थाना सं किछु क़दमक दुरी पर सरेआम एकटा नौजवानकें पेट्रोल ढारि कय हजारो लोकक सामने आगि लगाओल गेल ओहि सं दरभंगामे कानून व्यवस्थाक डगमगाइत हाल देखल गेल। अहि सब मुद्दाकें लय बुधदिन ‘मनोज चौधरी को न्याय दो’ बैनर तर बढ़ैत अपराधिक घटनाकें मद्देनजर जन जागरुकता अभियानक आयोजन कएल गेल।

    चट्टी चौक सं निकलल अहि रैलीमे दर्जनो मोटरसाइकिल सं नौजवानक टोली छेत्रक नवटोलिया, डरहार, गोविंदपुर, गंगापट्टी, सिनुआर आ अन्य गाममे घूमि कए लोककेँ पुलिसक लापरवाही आ चारि सूत्री मांगक कें विषयमे जानकारी देलनक।

    चारि सूत्री मांगमे मामलाक सुनवाई स्पीड ट्रायलमे हेबाक संग अपराधीकें फ़ासीक सजाक मांग,  दोषी थाना प्रभारीकें तत्काल बर्खास्त करबाक मांग, पीड़ितकें 10 लाखक मुवावजा तथा पूरा इलाजक खर्च आ अपराधीके व्यपारिक प्रतिष्ठानकें तत्काल सील करबाक मांग शामिल अछि।

    नुक्कड़ सभामे भाग लैत मिथिला स्टूडेंट यूनियनकें कार्यकर्ता कहलनि जे, यदि प्रशाशन जल्दी सं अहि मांगकें नहि मानत त आगामी शुक्रदिन दरभंगाकें पुलिस अधीक्षकक कार्यलयकें घेराव कएल जाएत। तकरा बाद शनिदिन लहेरियासरायकें पूर्ण रूप सं बंद कएल जाएत। रैलीमे विभिन्न गाम सं अमित झा, अविनाश, अमित ठाकुर, तनवीर, तुलसी झा, विनय, प्रशांत, छोटू आ अन्य लोक भाग लेलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here