प्रधानमंत्री सं भेंट कए अति पिछड़ा वर्गक लेल 14 प्रतिशत आरक्षण’क मांग केलनि बीरेन्द्र चौधरी

    0
    270

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मधुबनीक झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र सं सांसद बीरेन्द्र कुमार चौधरी बुधदिन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं भेंट कए देशमे अति पिछड़ा वर्गक लेल 14 प्रतिशत आरक्षणकेँ मांग केलनि। सांसद कहलनि जे, जाहि तरहे देशमे पिछड़ा वर्गक लेल आयोगक गठन कएल गेल अछि ओहिना अति पिछड़ा वर्गक लेल सेहो आयोगक गठन कए अहि वर्गक लोककेँ आरक्षण देल जाए।

    ओ कहलनि जे, देशमे अति पिछड़ा वर्गक आवादी 40 प्रतिशत अछि, बिहारमे अति पिछड़ा वर्गक लेल आयोग गठित कएल गेल अछि, जाहि सं अहि वर्गक लोककेँ लाभ भेटि रहल अछि। बीरेन्द्र चौधरी प्रधानमंत्री सं आग्रह केलनि जे, जाहि प्रकार बिहारमे जननायक कर्पूरी ठाकुर 27 प्रतिशत आरक्षणमे 14 प्रतिशत अति पिछड़ा वर्गकें देने छलाह, ओहि प्रकार केन्द्रमे सेहो अति पिछड़ा वर्गकेँ आरक्षण देल जाए।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here