मानदेय वृद्धि’क मांग’क लेल हड़ताल पर गेलीह आंगनवाड़ी सेविका आ सहायिका

    0
    258

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: प्रखंड मुख्यालय स्थित बाल विकास परियोजना कार्यालयमे आंगनवाड़ी सेविका आ सहायिका 16 सूत्री मांगक लेल धरना देलनि। सेविका सहायिकाक धरना पांच दिन तक जारी रहत। धरना प्रदर्शनक दौरान प्रखंड क्षेत्रक सबटा 12 गोट पंचायतमे विभिन्न आंगनबाड़ी केंद्र पर कार्यरत सेविका सहायिका उपस्थित छली।

    प्रदर्शनक दौरान सेविका कहलनि जे, गोवा व तेलांगना राज्यक तरह एतयकें सेविकाकें सेहो सात हजार रुपैया मानदेयक रूपमे देल जाए। ओतहि सहायिकाकें 4500 रुपैया मानदेयके रूपमे भेटबाक चाही। अहिकें अलावा सेवानिवृतिक सीमामे बढ़ोतरी कए 60 सं 65 वर्ष कएल जाए।

    मौका पर सेविका संघक अध्यक्ष नूतन कुमारी, महामंत्री पूनम कुमारी, सेविका रीना कुमारी, मुन्नी हेंब्रम, सुनीता झा, सहायिका रीना कुमारी, रबीना, अनीता देवी सहित अन्य और सभी सेविका सहायिका मौजूद छलीह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here