मधुबनीमे वाहन हड़ताल सं यात्री परेशानी

    0
    199

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार मोटर ट्रांसपोर्ट फेडरेशन जिला इकाईकें तत्वावधानमे छह सूत्री मांगक लेल सोमदिन जिलाध्यक्ष उमाशंकर ठाकुर मुन्ना’क अध्यक्षतामे स्थानीय स्टेशन चौक पर बंदक आयोजन कएल गेल। बंदक दौरान तत्काल सेवाकें छोड़िकय सब पैघ एवं छोट वाहनक आवागमन ठप रहल। ओतहि आवगमन अवरूद्ध भेला सं यात्रीकें काफी कठिनाइक सामना करय पड़ल।

    जगह-जगह सड़क पर वाहन लगाकय आवागमनकें अवरूद्ध कएल गेल। संघक जिलाध्यक्ष कहलनि जे, बिहार बंद पूर्ण सफल रहल अछि। ओ सरकारकें आगाह केलनि जे, यदि मांग पूरा नहि कएल गेल त संघ उग्र आंदोलन करत। ओ बंदमे मधुबनीक जनताक सहयोग देबाक प्रशंसा केलनि। ओतहि बिहार स्टेट ऑटो चालक संघ जिला कमेटी द्वारा बंदक समर्थन कएल गेल।

    संघक मांग अहि प्रकारे अछि। बीमा शुल्कमे 50 प्रतिशतकें अप्रत्याशित वृद्धि, फिटनेश शुल्कमे बढ़ोत्तरी एंव पचास रुपैया प्रतिदिनक दर सं जुर्माना, ड्राइविंग लाइसेंस शुल्कमे बढ़ोत्तरी, वाहनक निबंध शुल्कमे वृद्धि इत्यादि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here