स्वराज इंडियाकें ‘साफ़ दिल्ली अभियान’ शुरू

    0
    235

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनाव सं राजनीतिमे आबि रहल स्वराज इंडिया पार्टी सोमदिन सं साफ़ दिल्ली, प्रचार अभियान शुरू केलक अछि। जाहिके तहत पार्टीक प्रत्यासी द्वारा अप्पन-अप्पन क्षेत्रमे हस्ताक्षर अभियान चलाओल जाएत। पार्टीक ई मुहीम नामांकन दाखिल करय दिन धरि चलाओल जाएत।

    पार्टीक कहब अछि जे, अहि अभियान सं निगम चुनावकें मुद्दा दिस अनबामे फाइदा भेटत। ई हस्ताक्षर अभियान 20 मीटर लंबा वसंती कपडा पर चलाओल जाएत। सूत्रक अनुसार प्रत्याशिक संग-संग पार्टी कार्यकर्ता शॉपिंग मॉल, मेट्रो स्टेशन, चौराहा आ गली-गली जा कए ई अभियान चलाओत। अहि दौरान लोककेँ स्वराज इंडियाक नारा साफ़ दिल, साफ़ दिल्लीकें विषयमे बताओल जाएत।

    सूत्रक अनुसार हस्ताक्षर युक्त वसंती कपड़ाकें 20 कार्यकर्ता अपना कन्हा पर राखि कए समुच्चा वार्डमे चक्कर लगाओत। जकरा बाद मोटरसाइकिल रैली निकालल जाएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here