एमसीडी चुनाव’क लेल 9 अप्रैल कए दिल्लीमे प्रचार करताह नीतीश कुमार

    0
    220

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री आ जनता दल युनाइटेडकें अध्यक्ष नीतीश कुमार अगिला महिना दिल्लीमे होबय वला नगर निगम चुनावक तैयारीमे लागि गेल छथि। अहि क्रममे ओ अप्रैलमे एकहि दिन दिल्लीमे दू टा रैलीकें संबोधित करताह। पार्टीकें अनुसार नीतीश दिल्लीमे 9 अप्रैल कए दुनू रैलीकें संबोधित करताह। जदयू अगिला महिना दिल्लीमे होबय वला अहि चुनावक लेल उम्मीदवारक दोसर सूची सेहो जारी कए देल गेल।

    दिल्ली जदयूक राष्ट्रीय महासचिव संजय झाकें अनुसार नीतीश प्रचार अभियानक लेल 9 अप्रैल कए दिल्ली औताह आ दू टा पैघ रैलीकें संबोधित करताह। जानकारीक अनुसार एकटा रैली उत्तरी हिस्सामे तथा दोसर दक्षिणी दिल्लीमे होएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here