दरभंगाक घटनाक विरोधमे निकलल प्रदर्शनकारी पर पुलिसक लाठीचार्ज

    0
    303

    दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः शनिदिन दरभंगाक टावर चैक पर दिन-देखार एकटा व्यक्तिकेँ जीवैत जरेवाक जे मामला आएल छल ओ देखैत-देखैत लोकसबमे एकटा अलग तरहक महौलकेँ जन्म देवाक लेल बहुत अछि। स्थानीय जनप्रतिनिधिक बेरूखी आ प्रशासनिक लीपा-पोतीक बीच स्थानीय जनसमुदाय द्वारा अहि घटनाक प्रतिकारमे एकटा जुलूस निकालि एकर प्रतिरोध कैल गेल। बहादुरपुर प्रखंडक कबिलपुर गामक मनोज चौधरीक संग भेल ई अमानवीय घटनाक पर हुनकर ग्रामिण लोकनि बेसरास संख्यामे आबि आरोपी कैलाश गुप्ता संगे समस्त आरोपीकेँ फांसी देवाक मांग पर टावर पर घेरवा कऽ रहल छलाह। अहि क्रममे किछु युवक लोकनि आरोपीक मिठाईकेँ दोकान पर पाथराव केलक जाहिकेँ बाद प्रशासन प्रदर्शन कऽ रहल व्यक्ति पर जमिकऽ लाठीक चार्ज केलक। पुलिसक लाठीचार्जमे 2 गोट महिला जख्मी भऽ गेलीह आ हुनका लोकनिकेँ पुलिस जीपे बैसा डीएमसीएच लऽ जाएल गेल।
    हालांकि प्रशासन प्रर्दशनकारी लोकनिकेँ ई आश्वासन दैत रहल जे हम अहि पर समुचित कार्रवाई करब। हालांकि घटनाक बाद आरोपीकेँ हिरासतमे लए ओकरा भीड़ सँ त बचा लेल गेल मुदा जाहि तरहक प्रतिरोध अहि घटनाककेँ हेवाक चाही छल ओहि तरहक बाद देखवामे नहि आबि रहल अछि। किछु बुद्धिजीवी एकरा स्थानीय राजनीति सँ सेहो जोड़ि कऽ देख रहल छथि। हुनका लोकनिक कहब छैन्ह कि अगर ई घटनाक ब्राह्मण छोड़ि जौं कोनो ओहि वर्ग विशेषक संगा होइत जेकर प्रभुत्व स्थानीय जनप्रतिनिधि तक छैक तऽ स्थिति किछु आओर रहैत मुदा अहिठाम

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here