‘चाणक्य विद्यापति सोसाइटी’ मनाओत नववर्ष समागम

    0
    264

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: चाणक्य विद्यापति सोसाइटीकें दिस सं 29 मार्च कए चतुर्भुज स्थान मंदिरमे नववर्ष समागम मनाओल जाएत। ई जानकारी सोसाइटीक संरक्षक सह कार्यकारी अध्यक्ष पं. शंभूनाथ चौबे देलनि। संगठन प्रभारी अजयानंद झाक आवास पर रविदिन भेल बैसककें बाद ओ आगामी कार्यक्रमक चर्चा केलनि। ओ कहलनि जे, 30 अप्रैल कए यज्ञोपवीत संस्कार महोत्सव हेबाक अछि। यज्ञोपवीत संस्कार सं बच्चा संस्कारित होईत अछि तथा एकटा सभ्य समाजक निर्माण होईत अछि।

    छात्र नेता संकेत मिश्रा कहलनि जे, यज्ञोपवीत महोत्सवमे राज्यक अन्य जिला सं सेहो लोक आबि कए अपन बच्चाक उपनयन संस्कार करय। बैसकमे मुख्य रुप सं अशोक कुमार झा, राघवेंद्र राही, अभय चौधरी, मनोज झा, संजीव झा, पं.नवीन झा, पं.देवचंद्र झा, पं.हरिशंकर पाठक, शंभू झा, मुन्ना रफी, इंद्रकांत झा, नवल किशोर मिश्रा, जितेंद्र झा, सुमंत कुमार झा, अभिषेक झा, मुन्ना तिवारी, शशिशेखर झा, पप्पू झा, चंद्रमणि झा, भुवनेश्वर झा, रंजीत झा, टीएन पाठक, सतीश पांडे आदि शामिल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here