बिजलीकें दाममे बढ़ोतरीकें खिलाफ मुख्यमंत्री’क पुतला जरौलक भाजपा

    0
    200

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: रविदिन मोतीपुर ठाकुरबाड़ी परिसरमे मंडल अध्यक्ष अशोक कुमार नायककें अध्यक्षतामे भाजपा पूर्वी मंडल ताजपुरकें बैसक भेल। जाहिके बाद बिहार सरकार द्वारा बिजली दर बढ़ोत्तरीक खिलाफ नीम चौक पर मुख्यमंत्री’क पुतला फूंकल गेल। अहि सं पूर्व बैसकमे निर्णय लेल गेल जे, 6 अप्रैल कय भाजपाक स्थपना दिवस बूथ स्तर पर मनाओल जाएत।

    जाहिके लेल पंचायत प्रभारी नियुक्त कएल गेल। मौका पर धीरेन्द्र कुमार धीरज, प्रभारी विनोद वाजपेयी, जवाहर लाल साह, पवन पोद्दार, दिलीप ठाकुर, अखिलेश राय, अंशु अकेला, इंद्रजीत यादव, अजय दास, अमरनाथ शर्मा, पिंकी देवी, मंजू देवी, सुशील चौबे, सत्येन्द्र सिंह, सुनील कुमार साह आदि उपस्थित छलाह।

    दोसर दिस केशव नगर मंडल अध्यक्ष अमरेश कुमार झा’क अध्यक्षतामे प्रखंडक केशव नगर सरायरंजन दक्षिणी मंडलके भाजपा कार्यकताक बैसक नरघोघी उच्च विद्यालयके प्रांगणमे रविदिन आयोजित कएल गेल। जकर संचालन राज कुमार दास केलनि। ओतहि दोसर दिस सरायरंजन उत्तरी मंडलक भाजपा कार्यकताक बैसक बखड़ी बुजुर्ग पंचायत निवासी राम स्वार्थ सिंहक आवास पर आयोजित कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here