नब कुलपतिकेँ लेल शैक्षणिक गुणवत्ता बहाल करब पैघ चुनौती

    0
    202

    दरभंगा, मिथिला मिरर: अप्पन वर्तमान स्थिति आ दर्जनो समस्या सं जूझि रहल रहल ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें नब कुलपतिकें सफल संचालनक लेल संकल्पित रूप सन श्रम करबाक आवश्यकता अछि। अगस्त 1973 ‘मे स्थापित अहि विविकें 35’म कुलपतिकें रूपमे कार्यभार ग्रहण कय चुकल प्रो. सुरेंद्र कुमार सिंहकें बहुतो मोर्चा पर एक संग काम करय पड़तनि।

    प्रो. सिंहकें 43 अंगीभूत कॉलेज, 26 संबद्ध डिग्री कॉलेज, 27 बीएड कॉलेज आ 3 गोट डेंटल कॉलेजक समक्ष ठाढ़ बहुतो समस्या सं रूबरू होबय पड़तनि. सांस्कृतिक, साहित्यिक व धार्मिक आदि दृष्टि सं सदैव नजदीक रहल काशीकें रह्य वला वीसीकें मिथिला विविकें जाहि तरहे पटरी पर अनबाक मौका भेटल अछि, ओहि सं आम लोक आशांवित अछि। प्रो. सिंह कहने छलाह जे, अप्पन शैक्षणिक आ प्रशासनिक अनुभव सं नब प्रयोगक संग-संग शैक्षणिक सत्रकें सेहो नियमित करबाक प्रयास करब।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here