अगिलग्गीमे 13 गोट दोकान जरिकए खाक, लाखो’क क्षति

    0
    219

    सुपौल, मिथिला मिरर: जिला मुख्यालयमे बृहस्पति दिन राति अगिलग्गीक घटनामे 13 गोट दोकान जरि कए राख भए गेल। घटना स्थानीय लोहिया चौककें समीप रेलवे ढ़ालाक पूव भागमे घटल। आगि लागबाक कारण बिजलीक शॉर्ट सर्किटकें बताओल जा रहल अछि। जा धरि लोककें आगि लागबाक खबरि भेटल ता धरि 13 टा दोकान खाक भए गेल छल।

    अहि अगिलग्गीमे दू टा किराना, एकटा मोबाइल, नास्ता आ साइकिलक दोकान सहित चाय-पानक दोकान जरिकए राख भए गेल। शत्रुघ्न चौधरी आ सीताराम सहनी’क जतय किराना दोकान जरल ओतहि फूलेश्वरक मोबाइल दोकान, कुमोद कुमारक साइकिल दोकान, ढ़ोली सहनीक नास्ताक दोकानक अलावा गौरी, हरेराम, सुरेशक पान दोकान आ पिन्टू, करमचन्द, रामसेवक सहनी व बिनोद कुमारक चाह दोकान जरिकए राख भए गेल। जाहि सं लाखो’क क्षति हेबाक अनुमान लगाओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here