नीतीश कुमार’क कार्यक्रममे सवाल पुछला पर दू गोट व्यवसायी गिरफ्तार, आठ घंटा धरि पूछताछ’क बाद रिहाई

    0
    215

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे दू गोटेकें मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं सवाल पुछबाक जुल्ममे गिरफ्तार कएल गेल। सत्ते सुनलहुँ अहाँ सवाल पुछबाक जुल्ममे गिरफ्तार कएल गेल अछि। ई मामला पटनाक गांधी मैदानक अछि, जतय मंगलदिन बिहार उद्यमी शिखर सम्मेलनमे नीतीश कुमार अतिथिके रूपमे पहुंचल छलाह। ईटीवीकें अनुसार अहि सम्मेलनमे जहन लोककें संबोधित करैत काल नीतीश सं मधुबनीके व्यवसायी नेमी कुमार आ बेगुसरायके सुरेश कुमार किछु सवाल पूछलनि त ओ भड़कि गेलाह। जाहिके बाद पुलिस दूनूकें हिरासतमे लए करीब आठ घंटा पूछताछ केलक। थाना सं निकललाक बाद व्यवसायी कहलनि जे, हम मुख्यमंत्री सं केवल स्टार्टअप्सकें लए कए किछु सवाल केने छलहुँ।

    ओ कहलनि जे, नीतीश सं सरकार जे अनुदान व्यवसायीकें देल जाईत अछि ओहिकें लेल बैंक द्वारा लोन देबाक समय काफी परेशानीक सामना करय पड़ैत अछि आ यदि अहिकें अलावा कोनो काजक लेल लोन लेल जाइत अछि त ओहि सं काफी दिक्कत होइत अछि। दुनू व्यवसायी अपन सवाल समाप्त केनहु नहि छल कि ओतय मौजूद पुलिस कर्मी आ स्पेशल ब्रांचक अधिकारी दूनूकें गिरफ्तार कए लेलक।

    दूनूकें गांधी मैदान पुलिस थाना लय जा पूछताछ केलक। अहि आठ घंटाक बीच पुलिस ने त व्यवसायीकेँ शौचालय जाए देलक आ ने किछु खाय-पीबय देलक। व्यवसायीकें अनुसार जाहि प्रकार कोनो अपराधीके संग व्यवहार कएल जाइत अछि पुलिस बिलकुल ओहने व्यवहार केलक अछि।

    दूनू व्यवसायी आरोपकें खंडन करैत पटनाके एसएसपी मनु महाराज कहलनि जे, पुलिस पर लगाओल जा रहल आरोप झूठ अछि। ओ कहलनि जे, मामूली पूछताछक बाद दूनूकें बहुत व्यवहारक संग छोड़ि देल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here