भुमिहीन’क घर हटेबाक लेल गेल पुलिस, किसान सभा’क विरोधकें बाद वापस आएल

    0
    175

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक बहादुरपुर थाना क्षेत्रक देकुली गाममे विधवा अमरावती देवी समेत दर्जनो भूमिहीनकें बहादुरपुर थानाक पुलिस आ अंचलाधिकारी द्वारा अतिक्रमणके नाम पर उजाड़बाक प्रयास कएल जा रहल छल। जकर विरोध सीपीआइएमकें किसान सभा’क जिला सचिव श्याम भारती केलनि, आ पुलिसकें मजबूरन बेरंग वापस जाए पड़ल। ओ कहलनि जे, गरीबकें उजाड़बाक खिलाफ बहादुरपुर किसान सभा’क दिस सं 27 मार्च कए अंचल’क घेराव कएल जाएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here