दरभंगामे मोटरसाईकिल रेसक आयोजन, 100 प्रतिभागी लेलक भाग

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार दिवसकें अवसर पर बुधदिन बेनीपुरमे विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। भोरमे प्रखंड पदाधिकारी प्रदीप कुमार झा’क नेतृत्वमे विभिन्न विद्यालयकें बच्चा प्रखंड कार्यालय प्रांगणक मुख्य द्वारि सं प्रभातफेरी निकाललक। बाबा नागार्जुन स्टेडियममे खेलकूद प्रतियोगिताक उदघाटन मुख्य पार्षद सुरेन्द्र कुमार झा एवं डीएसपी अंजनी कुमार संयुक्त रूप सं केलनि।

    दोसर दिस मोटर साईकिल रेसक आयोजन कएल गेल, जाहिमे 100 खिलाड़ी हिस्सा लेलक। प्रतियोगितामे पहिल स्थान पर विद्यापति झा, दोसर स्थान पर धीरज कुमार आ तेसर स्थान पर कौशल कुमार रहल। मध्यविद्यालय हनुमाननगर, नंदापटी प्राथमिक विद्यालय, मध्यविद्यालय हटियागाछी बेनीपुर, मध्यविद्यालय चमरूपटी, बेनीपुर कन्या विद्यालयमे निबंधन, लेखन, क्विज, पेंटिंग एवं सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल।

    अहि अवसर पर कार्यक्रमक अनुश्रवण प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी उत्तम प्रसाद, प्रखंड साधन सेवी राम नरेश यादव, सी आर सी छोटे लाल पासवान केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here