ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो रहल बिहार दिवस’क धूम

    0
    325

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीकेँ ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो बिहार दिवस’क धूम रहल। प्रखंड मुख्यालयमे जतय 105 टा दीप जराओल गेल, ओतहि विविध कार्यक्रमक आयोजन सेहो कएल गेल संगहि बिहारक गौरवशाली इतिहास स परिचय कराओल जेल।

    बिहार स्थापना दिवस पर हरलाखीमे सेहो लोकमे उत्साह देखल गेल। प्रखंड मुख्यालय उमगांव परिसरमे बीडीओ सरोज कुमार बैठाक नेतृत्वमे मोमबती जलाकय स्थापना दिवस मनाओल गेल। ओतहि गंगौर स्थित जागरूकता अभियान संस्थाक संचालिका बिट्टू कुमारी मिश्रा आ अनिशा कुमारी अप्पन टीमक संग शांति निकेतन इंग्लिश बोर्डिंग स्कूलमे बच्चाके बीच चॉकलेट बांटिकय बिहारक इतिहासकें बच्चाक बीच साझा केलनि।

    अहि अवसर पर संस्थाक लड़की बच्चाकेँ अपन संस्कृतिकें बचेबाक तथा एकता आ आपसी भाईचारा बनेबाक संकल्प दियौलनि। अहि तरहे गंगौर, करूणा, खिरहर, बेता परसा समेत अन्य पंचायत भवन पर कार्यक्रम राखल गेल। जदयू कार्यालय उमगांवमे प्रखंड अध्यक्ष प्रमोद गुप्ता द्वारा सेहो स्थापना दिवस मनाओल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here