मांगक समर्थनमे नियोजित शिक्षक संघ निकाललक जुलूस

    0
    180

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समान काजक बदले समान वेतन, राज्य कर्मी दर्जा आ सेवा शर्त अविलंब लागू करबा सहित अन्य सत्रह सूत्री मांगक समर्थनमे मंगलदिन बिहार नगर प्रारंभिक शिक्षक संघ जिला इकाईके बैनर तर जिलाक नियोजित शिक्षक शहरमे मशाल जुलूस निकालि कए प्रदर्शन केलनि। अहि क्रममे स्थानीय कर्मचारी भवन सं जुलूसमे शामिल लोग शहरक मुख्य मार्ग होईत चीनी मिल चौक पहुंचल।

    अहि सं पूर्व कार्यक्रमक नेतृत्व कय रहल संगठनक जिलाधक्ष रामचन्द्र राय लोककेँ संबोधित करैत कहलनि जे, समान काजक बदले समान वेतनमान शिक्षकक संवैधानिक मौलिक व लोकतांत्रिक अधिकार अछि। संघी  सर्वोच्च न्यायालयके द्वारा कएल गेल अहि टिप्पणीके परिपेक्ष्यमे एकर प्राप्ति हेबा तक शिक्षक द्वारा संघर्ष जारी रहत

    मौका पर वरीय जिला उपाध्यक्ष संजीव आर्य, रिजवान खातुन, शंभू कुमार सुमन, मो. फैसल आलम, सुमन कुमारी, अभय कुमार आजाद, राजाराम महतो, हरिमोहन चौधरी, रामनाथ कुमार, अमरनाथ चौधरी, राजीव कुमार, सुभाष कुमार राय, जय किशोर राय, मो. शब्बीर, मधुरेन्द्र झा, राज कुमार, कैलाश राय, अभिनव कुमार, आरती वर्मा, आमना खातुन, ममता कुमारी, बेबी कुमारी, संगीता कुमारी, सुनीता कुमारी, रंजना कुमारी, संजीव कुमार, पिंकी कुमारी, रामबालक राय, निवेदिता, रीना चौधरी, अनुजा कुमारी, सुषमा कुमारी, विजय शंकर शर्मा आदि लोक उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here