डॉ. नलिनी कांत झा’कें बनाओल गेल तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालय’क नब कुलपति

    0
    277

    भागलपुर, मिथिला मिरर: तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालयकें नवनियुक्त कुलपति डॉ. नलिनी कांत झा’क जन्म बांका जिलाक तेलडिहा गाममे जुलाई 1959 ‘मे भेल छल। हिनकर अंतर्राष्ट्रीय संबंध आ राजनीति पर 75 गोट रिसर्च पेपर आ दस सं अधिक किताब प्रकाशित अछि। डॉ. झा देशक बहुतो शिक्षण संस्थानमे अप्पन व्याख्यान देलनि अछि।

    अहिकें अलावा बांग्लादेश, पाकिस्तान, ऑस्ट्रेलिया, यूएसए, श्रीलंका, कनाडामे सेहो अंतर्राष्ट्रीय विषय पर गेस्ट लेक्चर देने छथि। अंतर्राष्ट्रीय मुद्दाक अलावा बहुतो विषय पर हिनकर मजबूत पकड़ छन्हि। डॉ. झा वर्ष 1975’मे भागलपुर विश्वविद्यालय सं राजनीति शास्त्रमे ऑनर्स केने छलाह। तकरा बाद ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय तथा जेएनयू सं उच्च शिक्षा ग्रहण केलनि। हिनक पिता श्यामा कान्त झा सेहो बहुत पैघ विद्वान् छलाह।

    डॉ. नलिनी कांत’कें दू टा बेटा आ एकटा बेटी छन्हि। बेटी स्त्री रोग विशेषज्ञ तथा पुत्र सौरभ सॉफ्टवेर इंजीनियर छथि जहन कि छोट बेटा परास्नातरकें पढाई कए रहल अछि। पुतौह सेहो इंजीनियर छन्हि। नलिनी झांके कुलपति बनेला सं क्षेत्रमे खुशीक माहौल बनल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here