मनोज तिवारी सं मुकाबला करबाक लेल ‘आपकें’ पूर्वांचली नेता तैयार

    0
    221

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्ली नगर निगम चुनावमे भाजपाक दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष तिवारी सं मुकाबला करबाक लेल आम आदमी पार्टी दर्जन भरि पूर्वांचली नेताकेँ प्रचारमे उतारबाक निर्णय लेलक अछि। जाहिमे पार्टी सं जुडल मंत्री, नेता आ विधायककें शामिल कएल गेल अछि। संगहि  कोन नेताकेँ कोन वार्डमे प्रचारक जिम्मा देल जाएत एकरो निर्णय भए गेल अछि। सूत्रक अनुसार सप्ताहके अंत धरि ई सब नेता पूर्वांचली मतदाताकेँ बीच पहुंचय लगताह।

    ज्ञात हो कि जन लोकपाल आन्दोलनकेँ बाद जहन आम आदमी पार्टीक गठन भेल त, ओहिमे पूर्वांचलकेँ लोककेँ अहम पद देल गेल छल। विधानसभा चुनावमे सेहो दर्जन भरि नेता पूर्वांचल सं जुडल अछि। जाहिमे आपकें राष्ट्रीय प्रवक्ता संजय सिंह, दिल्ली सरकारमे मंत्री गोपाल राय, दिल्ली इकाइकेँ संयोजक दिलीप पांडेय, मंत्री कपिल मिश्रा, वरिष्ठ नेता दुर्गेश पाठक, संजीव झा सहित दर्जनों नेता शामिल अछि।

    भाजपा जहिया सं मनोज तिवारीकें दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष बनेलक अछि, तहिये सं आपकें पूर्वांचली मतदातामे भजपाक सेन्ह लगेबाक अनुमान छल। एकरे तोड़ निकालबाक लेल आप पूर्वांचलकें नेता, मंत्री आ विधायक सबकेँ चुनावमे उतारबाक निर्णय लेलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here