एसएससी पेपर लीक मामलाक आरोपी मंत्रीकें बर्खास्त करबाक लेल विपक्ष’क हंगामा

    0
    228

    पटना, मिथिला मिरर: बीएसएससी पेपर लीक मामलामे बिहार सरकारक दू टा मंत्रीक नाम एलाक बाद विपक्षकें एकटा मुद्दा भेटि गेल, जकही सं शनिदिन बिहार विधानसभाक शुरुआतहि हंगामा सं भेल। विपक्ष बीएसएससी मामला पर मंत्री अलोक मेहता आ कृष्णनंदन वर्मा’क बर्खास्तगीक मांगकें लय सदनकें भीतर सं बाहर धरि हंगामा करैत रहल।

    भाजपा नेता सुशील मोदी अहि मामलाक निष्पक्ष जांच करेबाक लेल दुनू मंत्रीकें हटेबाक मांग केलनि। ओतहि हेल्थ विभागक ओएसडी शंकर प्रसादक नाम एला पर सेहो भाजपा नेता तेजप्रताप यादवकें घेरलक। अहि हंगामाक कारण एक घंटा पहिने विधान सभा’क कार्यवाही स्थगित करय पड़ल। विपक्षक हंगामाक बीच सहकारिता मंत्री आलोक मेहता मीडिया सं दूरे रहलाह। जहन कि मंत्री कृष्णनंदन वर्मा कहलनि जे, हमरा लग बहुतो लोक पैरवीक लेल आएल छल।

    शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी सेहो बिहार सरकारक मंत्रीके पक्षमे एलाह। ज्ञात हो कि अहि घोटालामे परत दर परत आ रोज नब खुलासा भए रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here