नेपाली चीनी मिलकें कुसियार बेचबाक लेल मजबूर भारतीय किसान

    0
    204

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: रीगा चीनी मिलमे समय सं पूर्व पेराई बंद भेला सं एतयकें किसान किसान नेपाली चीनी मिलकें कुसियार बेचबाक लेल मजबूर अछि। अहि सं राजस्वकें नुकसान भए रहल अछि। संगहि किसानकें सेहो काफी समस्याक सामना करय पड़ि रहल अछि। मुदा अधिकारी अहि पूरा मामला पर चुप्पी सधने अछि।

    रीगा चीनी मिलक रिजर्व क्षेत्र’क किसान दोहरी समस्या झेलि रहल अछि। प्रतिवर्ष जतय मार्च-अप्रैल धरि मिलमे पेराई चलैत छल, अहि बेर फरवरीमे बंद कय देल गेल। रसलपुर, डुमरी खुर्द, कोआरी मदन, गजहरबा, चक्रघट्टा, मुबारकपुर, सोनार, मोरहा डीह, कन्हौली, मधुकरपुर, खाप, बगहा सहित बहुते गामक खेतमे कुसियारक फसल सूखा रहल अछि।

    फसल बर्बाद होइत देखि किसान कुसियार नेपालमे बेचबाक फैसला केलक अछि। बॉर्डर पर नेपाली चीनी मिलक दर्जनभरि सं अधिक सेंटर संचालित अछि। हालांकि, किसानकें ओहि पार किसान पहुंचेबामे बहुतो तरहक समस्या झेलय पड़ि रहल अछि।

    पहिने क्षेत्रक किसान क्रशर मशीन चलाकय गुड़ तैयार कय बेचैत छल। बादमे बिहार सरकारक नब उत्पाद नीतिके तहत क्रशर मशीन सं गुड़ तैयार करबा पर पांबदी लागि गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here