मांगक समर्थनमे आयकर कर्मचारी देलक धरना

    0
    206

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारकें मुजफ्फरपुरमे आयकर विभागक ग्रुप सी आ ग्रुप डी’क कर्मी अप्पन 20 सूत्री मांगक लेल एक दिवसीय हड़ताल कय जिला आयकर कार्यालय पर धरना प्रदर्शन करैत केन्द्र सरकारक खिलाफ नारेबाजी केलक।

    मांगमे नव पेंशन नीति’क विरोध आ सातम वेतन आयोगकें तहत 24 हजार 5 सौ न्यूनतम मासिक भूगतानक मांग प्रमुख अछि। अहिकें अलावा अनुकंपा पर बहालीमे पांच प्रतिशतके कोटाक सेहो कर्मचारी विरोध केलक अछि।

    नव पेंशन नीतिक तहत अप्रैल 2004 सं बहाल कर्मीक लेल पेंशन स्कीमके तहत 10-10 प्रतिशत अंशदानक प्रावधान कएल गेल अछि, जकरा शेयर बाजारमे निवेश कएल जाएत। रिटायर्मेंट पर ओहि निवेशके बाजार मूल्यक अनुसार पेंशन तय कएल जाएत। कर्मचारी निर्धारित पेंशन लाभक मांग कय रहल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here