19 मार्च धरि लनामिविविकें सब बैसक स्थगित

    0
    215

    दरभंगा, मिथिला मिरर: लनामिविविमे 17 सं 19 मार्च धरि होबय वला सबटा बैसककेँ स्थगित कय देल गेल अछि। कुलसचिव डॉ. अजीत कुमार सिंह कहलनि जे, अपरिहार्य कारणवश ई निर्णय लेल गेल अछि। ज्ञात हो कि 17 मार्च कए अनुशासन समितिक संग वरीयता एवं वेतन निर्धारण समितिक बैसक सहित वीसी दिस सं प्रेस कांफ्रेंस’क आयोजन हेबाक छल।

    18 मार्च कए सेवा अंतरलिनीकरण समितिक संग परीक्षा परीषदक बैसक हेबाक छल। अहिकें संग 19 मार्च कए विविमे सिडिकेट’क बैसक निर्धारित कएल गेल छल। अहि सब बैसककें अपरिहार्य कारण बताकय स्थगित करबाक संबंधमे बहुत तरहक कयास लगाओल जा रहल अछि। सूत्रक कहब अछि जे, विविमे शीघ्र स्थायी वीसी’क नियुक्ति होबय वला अछि। एहेनमे कुलाधिपति कार्यालयकें निर्देश पर सब बैसककें स्थगित कएल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here