डाककर्मी’क हड़ताल सं चारि करोड़’क व्यवसाय प्रभावित

    0
    209

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्थानीय प्रधान डाकघरमे बृहस्पति दिन संयुक्त डाक संघर्ष समितिकें बैनर तर डाक कर्मी एक दिवसीय हड़ताल केलनि। जाहिमे डाक प्रमंडलक सब डाककर्मी हिस्सा लेलनि। हड़तालक कारण डाक घरमे कोनो तरहक लेन देनक काज नहि भेल। हड़ताली कर्मचारी प्रधान डाकघरकें मुख्य द्वारि पर काज बंद कय धरना पर बैसि गेलाह।

    डाककर्मी रोष प्रगट करैत सरकार विरोधी नारेबाजी केलनि। अहिकें उपरांत एकटा सभा कएल गेल। सभाकें संबोधित करैत संघक प्रवक्ता शैलेश कुमार सिंह कहलनि जे, आधुनिकीकरण आ प्रौद्योगिकरणकें नाम पर केंद्र सरकार द्वारा डाक विभागकें जनताक बीच बदनाम करबाक साजिशकें तहत सुविधा उपलब्ध नहि कराओल जा रहल अछि। परिणाम स्वरूप आवश्यक संसाधनक अभावमे डाक घरो द्वारा गुणवत्तापूर्ण सेवा देबामे कठिनाई आबि रहल अछि।

    एक दिस जतय सरकार द्वारा कंप्यूटराईजेशन आ इंडिया पोस्ट पेमेंट बैंक एहेन महत्वपूर्ण जनहितकारी सेवा शुरू कएल गेल त दोसर दिस कंप्यूटर, नेटवर्क’क समस्या, कर्मचारीकक संख्या बलमे कमी एवं कर्मचारीकें पर्याप्त प्रशिक्षणक अभावमे देशक तमाम वर्गक 125 करोड़ ग्राहककें अहि जनहित काजक लाभ नहि भेटि रहल अछि। अहि एक दिवसीय हड़तालक कारण चारि करोड़क व्यवसाय प्रभावित हेबाक अनुमान लगाओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here