सड़क हादसामे आठ गोटेक मौत

    0
    203

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: होलीकें दौरान अलग-अलग सड़क हादसामे आठ गोटेक मौत भए गेल। ओतहि, तीन दर्जन सं अधिक लोक गंभीर रूप सं जख्मी भए गेल अछि। गंभीर रूप सँ जख्मी दू दर्जन लोकक इलाज निजी अस्पतालमे चलि रहल अछि, जहनकि दर्जनभरि लोकक इलाज एसकेएमसीएचमे कराओल जा रहल अछि।

    बोचहा थाना क्षेत्रक मुजफ्फरपुर दरभंगा फोरलेन पर आदिगोपालपुर चौककें समीप रविदिन यात्री बस पलटला सं घटनास्थल पर दू टा महिला सहित चारि गोटेक मौत भए गेल। ओतहि, करीब पांच दर्जन लोक जख्मी भए गेल अछि।

    सूचना पर सीओ सतीश कुमार आ डीएसपी पूर्वी एम अहमद पुलिस बलक संग पहुंचकए लहासकें कब्जामे लए पोस्टमार्टमके लेल पठा देलक। संगहि एनएएचआइके किरानक सहयोग सं यात्रीकें निकालल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here