होलीमे डीजे बजेबाक लेल सीतामढ़ीमे हिंसक झड़प

    0
    207

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: होलीमे डीजे बजेबाक लेल भेल दू पक्षक बीच हिंसक झड़पमे तीन गोटे गंभीर रूप सं जख्मी भए गेल अछि। प्रथम पक्षके जख्मी अजय कुमार सिंह आ दोसर पक्षक राजू सिंह तथा राम बाबू सिंहक इलाज स्थानीय रेफरल अस्पतालमे चलि।  दुनू पक्ष द्वारा मंगलदिन थानामे अलग-अलग प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल।

    पहिल पक्षक अजय कुमार सिंह द्वारा दर्ज कराओल गेल प्राथमिकीमे ग्रामीण रामबाबू सिंह, आशनारायण सिंह, केशव कुमार, लालू राम, मिट्ठू राम, सोहन राउत, अरविंद राउत, विश्वनाथ राऊत, बैजनाथ राउत, सहियारा थानाके छोरहिया गाम निवासी संजय कुमार सिंह एवं पश्चिम चंपारण जिलाक मझौलिया थानाके माधोपुर निवासी अनुराग सिंह उर्फ तूफानी सिंहकें नामजद कएल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार होलीक दिन सांझमे सब गोटे दरबज्जा पर पहुंच कय डीजे सं अश्लील गाना बजेनाय शुरू केलक एवं शराबक नशामे खराप-खराप गारि पढ़लक। जाहिके विरोध करबा पर सब घरमे घुसिकय लाठी-डंडा आ रोड़ा-पत्थर सं हमला कए देलक। ओतहि दोसर पक्षक राजू सिंह द्वारा दर्ज प्राथमिकीमे ग्रामीण मणिशंकर सिंह, राजकुमार  सिंह, अशोक सिंह, उमाशंकर सिंह, अजय कुमार, नवल किशोर सिंह, आ रामेश्वर सिंहकें नामजद कएल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here