होलीमे 6000 लीटर शराबक संग 705 गोटे गिरफ्तार

    0
    262

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे पूर्ण शराबबंदीकें बाद ई पहिल होली छल। अहि मौका पर शराबक अवैध तस्करी पर रोक लगेबाक लेल पुलिस पिछला तीन दिनमे 6,366 लीटर देशी आ विदेशी शराब जब्त केलक अछि। अहिकें संग शराब सं संबंधित विभिन्न मामलामे 705 गोटेकें गिरफ्तार कएल गेल।

    सूत्रक अनुसार बिहारमे पिछला तीन दिनक भीतर कएल गेल कार्रवाईमे 6,366 लीटर देशी एवं विदेशी शराबके अलावा 1,568 लीटर महुआ जब्त कएल गेल। संगहि 705 गोटेकेँ गिरफ्तार सेहो कएल गेल। जहनकि शराबमे 2,107 लीटर देशी शराब आ 4,259 लीटर भारतमे निर्मित विदेशी शराब शामिल अछि।

    पुलिस होलीके दिन 11 मार्च कए 1,342 लीटर देशी एवं 2,608 लीटर विदेशी शराब तथा 752 लीटर महुआ जब्त करबाक संग 276 गोटेकेँ गिरफ्तार केलक। सूत्रक अनुसार गत 12 मार्च कए प्रदेशमे 524 लीटर देशी एवं 1,365 लीटर विदेशी शराब तथा 552 लीटर महुआ जब्त करबाक संग 289 गोटेकें गिरफ्तार कएल गेल।

    जहनकि 13 मार्च कए विभिन्न जिलामे छापेमारीके दौरान 241 लीटर देशी एवं 286 लीटर विदेशी शराब तथा 264 लीटर महुआ जब्त करबाक संग कुल 140 गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here