होली’क हुड़दंगमे चलल गोली, नाबालिग समेत 2 गोटे घायल

    0
    223

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसरायकें अलग-अलग क्षेत्रमे होलीक हुड़दंगमे गोली चलल, जाहिमे एकटा युवक आ एकटा बच्चा घायल भए गेल। पहिल घटना नगर थाना क्षेत्रक हेमरा चौकक अछि, जतय मोटरसाइकिल सवार लफंगा फायरिंग करैत भागल जाहिमे हेमरा निवासी 22 वर्षीय युवक राहुल कुमार घायल भए गेल।

    ओतहि दोसर घटना मोहनपुरक अछि, जतय होली खेलाईत बच्चा पर अज्ञात अपराधी गोली चला देलक। जाहिमे 11 वर्षीय बच्चा गंभीर रूप सं घायल भए गेल अछि। घायल बच्चा शंकर महतो उर्फ़ बगुली महतोक पुत्र सौरव बताओल जा रहल अछि।

    परिजन गम्भीर हालतमे बच्चाकेँ बेगूसरायके निजी क्लिनिकमे भर्ती करेलक अछि। चिकित्सककें अनुसार बच्चाक हालत गम्भीर बनल अछि। पुलिस पूरा मामलाक जांच कए रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here