मिथिलाक सपूत शहीद नरेंद्र सिंह पंचतत्‍वमे विलीन, राजकीय सम्‍मानक संग भेल अंतिम संस्‍कार

    0
    266

    दरभंगा, मिथिला मिरर: छत्तीसगढमे भेल नक्सली हमलाक दौरान शहीद भेल सीआरपीएफके एएसआई नरेंद्र कुमार सिंह’क शव रविदिन हुनक पैतृक गाम दरभंगाक बहेड़ी थानाक बकमंडल आनल गेल। जतय पूरा राजकीय सम्‍मानक संग अंतिम संस्कार संपन्‍न भेल।

    ज्ञात हो कि बहेड़ी थाना क्षेत्रक समधपुरा पंचायतके बकमंडल गामक लाल तथा सीआरपीएफमे एएसआई नरेंद्र कुमार सिंह शनिदिन नक्‍सली सं लोहा लैत वीरगतिकें प्राप्‍त भेलाह। हुनकर शहादतकें खबरि भेटितहि समुच्चा इलाकामे कोहराम मचि गेल छल।

    नक्सली हमलामे शहीद भेल सीआरपीएफके एएसअाई नरेंद्र कुमार सिंह’क अंतिम संस्कार रविदिन हुंकार पैतृक गाम बकमंडल स्थित शमशान घाट पर पूरा राजकीय सम्मानक संग भेल। अहि दौरान भारत माता की जय, अमर रहे शहीद नरेंद्रके नारा लागैत रहल। शहीदकें मुखाग्नि हुनकर इकलौता पुत्र प्रकाश देलकनि।

    अहि मौका पर सीआरपीएफके डीआइजी जीएल मीणा, जिला पदाधिकारी डाॅ. चंद्रशेखर सिंह, एसएसपी सत्यवीर सिंह,  विधायक सुनील कुमार सिंह सहित भारी संख्या लोक उपस्थित छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here