मुजफ्फरपुरमे विदेशी शराबक फैक्ट्री’क पर्दाफाश

    0
    192

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नगर थानाक पुलिस लकड़ीढ़ाई इलाकामे छापेमारी कय नकली शराब बनाबय वला फैक्ट्रीक पर्दाफाश केलक अछि। ठिकाना सं भारी मात्रामे कॉर्क, शराबक खाली बोतल, स्प्रिट, एक कार्टून तैयार विदेशी शराब समेत अन्य सामान बरामद कएल गेल अछि। मौका सं अमित सहनीकें गिरफ्तार कएल गेल अछि। पूछताछमे बताओल गेल अछि जे, फैक्ट्रीक संचालक दिलीप चौधरी व पत्नी तन्नू देवी अछि। दुनूक गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कएल जा रहल अछि।

    थानेदार केपी सिंहकें अनुसार, तीनूके विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कय लेल गेल अछि। गिरफ्तार आरोपी अमितकें पूछताछक बाद न्यायिक हिरासतमे पठा देल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, एसएसपी विवेक कुमारकें सूचना पर नगर थानेदार व सिकंदरपुर ओपी प्रभारी सफीर आलम लकड़ीढाई इलाकामे दिलीप चौधरीक घर व ठिकाना पर छापेमारी केलनि।

    छापेमारीमे शराब फैक्ट्रीक पर्दाफाश भेल अछि। रॉयल गोल्ड नाम सं शराबक बोतलमे मिलावटी विदेशी शराब तैयार कएल जा रहल छल। पुलिस ओतय सं एक गैलन नकली मिश्रित शराब समेत अन्य सामान जब्त केलक अछि। छापेमारी टीममे थानेदारक संग दरोगा वानेश्वर किस्कू समेत अन्य पुलिस अफसर शामिल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here