शराब तस्करीमे लीन अपनहि बेटाकें गिरफ्तार केलक दरोगा

    0
    264

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रमे बृहस्पति दिन चलाओल गेल चेकिंग अभियानमे भारी मात्रामे शराबक बोतलके संग एकटा दारोगा अप्पन बेटाकें गिरफ्तार केलक अछि।हालांकि, अहि गिरफ्तारी सं पुलिस महकमामे खलबली मचि गेल अछि। बावजूद वरिष्ठ अधिकारी कोनो नरमी नहि देखा रहल। चारि घंटा तक चलल हाई वोल्टेज ड्रामाक बाद पुलिस दारोगाके बेटाकें मीडियाक समक्ष अनलक।

    गिरफ्तमे आयल इंद्रजीत कुमार अशोक पेपर मिल थानाके अवर निरीक्षक प्रभात शंकरक पुत्र अछि। ओ सदर थाना क्षेत्रक कबीरचककें रहय वला अछि। अपराधी के अनुसार समस्तीपुर जिलाकेँ एकटा पैघ कारोबारी ओकरा शराब मुहैया करा रहल छल। हालांकि, बादमे ओ अप्पन स्टेटमेंट बदलि लेलक।

    बताओल जा रहल अछि जे, इंद्रजीतक एकटा पार्टनर कोनो बातक लेल दुश्मन बनि गेल अछि। ओ अहि बातक जानकारी पुलिसकें देलक अछि। हालांकि, उसने ओ ई नहि कहलक जे ओ दारोगाक बेटा अछि।एएसपी दिलनवाज अहमद प्रेस वार्ता कय कहलनि जे, कठलबाड़ी रोड सं इंद्रजीतकें गिरफ्तार कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here